9650461788, 9717539000, 9999327551, 9958638604, 9811774106, 9873442999, 8810219871
विश्व मैथिल सम्मेलन

विश्व मैथिल सम्मेलन

*अखिल भारतीय मिथिला संघ* आगामी 27-29 मार्च कें राजधानी दिल्ली मे *विश्व मैथिल सम्मेलन* केर आयोजन करत।

गत 50 वर्ष सँ बेशी समय सँ अ.भा.मि.सं. अपन विविध प्रयास सबहक माध्यम सँ मिथिला-मैथिलीक सेवा मे लीन अछि। बड़ी रेल लाइन सँ अष्टम अनुसूची धरि, आ ताहिक बादो संघर्ष निरन्तर चलैत रहल अछि।

संस्थाक पचासम वर्ष मे तालकटोरा स्टेडियम मे आयोजित स्वर्ण जयंती समारोह मे लगभग 10 हजार मैथिल सबहक जुटान एहि संघर्ष गाथा मे एकटा मीलक पाथर रूपें स्थापित अछि। मैथिली शोध पत्रिका *तीरभुक्ति* समेत अनेक तरहक प्रकाशन संघक नव आयाम अछि।

अ.भा.मि.सं. अपन नव प्रयास मे *विश्व मैथिल सम्मेलन* केर माध्यम सँ देश विदेश मे स्थापित मैथिलीपुत्र विद्वतजन आ सामाजिक स्तम्भ सभकेँ एक मंच पर आनबाक आ एहि मंचक माध्यम सँ मिथिला-मैथिलीक विकास मे किछु आर डेग उठेबाक प्रयास क रहल अछि।

अपने सब, खास क विदेशमे स्थित मैथिलजन सँ करबद्ध निवेदन जे एहि आयोजन मे अपन उपस्थिति सुनिश्चित करी आ तन-मन-धन-बुद्धि-वैभव सँ सहयोग करी आ मैथिल समाजक एकजुटता प्रदर्शित क नव सन्देश दी।

*विजय चंद्र झा*
अध्यक्ष, अ.भा.मि.सं.
9650461788

Share This

Comments